Posts

गायिका अंजना इस्सर कें केंद्रीय मंत्री द्वारा सम्मान

Image
मैथिली गायन क्षेत्र मे कोलकाता प्रवासी मध्य अंजना इस्सर कोनो परिचय केर मोहताज नै छथि. बीतल कुछु साल मे ई देश-विदेशक कतिपय मंच सहित टीवी पर सेहो अपन प्रतिभाक परिचय देलनि अछि. लगातार अभ्यास सं हिनक गायिकी जेना आगू बढ़ल अछि, ओहि सं संगीत प्रेमी लोकनि कें बेस आश्वस्ति भेटैत अछि. हर्षक बात अछि जे बेगूसराय जिलाक झमटिया धाम मे हिनका सम्मानित कएल गेल अछि. गंगा महोत्सवक अवसर पर आयोजित सांगीतिक अनुष्ठान मे हिनका केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह हाथे सम्मानित कएल गेलनि अछि. एहि आयोजन मे देवानंद झा, सत्येंद्र कुमार संगीत, वंदना सिंह, शिवेश मिश्रा आदि कलाकार लोकनि सेहो अपन गायिकी सं स्रोता कें भावविभोर केलनि. भारी संख्या मे कांवरिया लोकनि भजनक आस्वादन केलनि आ वातावरण बाबाक जयघोष सं गुंजायमान रहल. एहि अवसर पर जिला प्रशासनक अधिकारी लोकनि सेहो उपस्थित छलाह. अंजना इस्सर एहिना हमरा लोकनि कें गौरवबोध करबैत रहथि, अशेष शुभेच्छा! साभार: मिथिमीडिया

हास्य कवि सम्मेलन मे शम्भू शिखर संग इस्सर देलनि प्रस्तुति

Image
कोलकाता मैथिली क्रियाकलापक जगजियार नाम विजय इस्सर बेगूसराय जा प्रशंसित भेलाह, सम्मानित भेलाह. ई कलकतिया मैथिल लेल अबस्से एकटा जरूरी समाद अछि. भूमिजा सांस्कृतिक केंद्र केर संस्थापक विजय इस्सर कइएक दशक सं मैथिली गीत-संगीत ओ साहित्यिक-सांस्कृतिक गतिविधि सं जुड़ल रहल छथि. एहू लेल ई उल्लेखनीय भ' जाइछ जे ख्यातिप्राप्त हास्य कवि शम्भू शिखर संग विजय इस्सर ने मात्र मंच सझिया केलनि बल्कि ओतय प्रस्तुति सं अपन छाप छोड़बा मे सफल रहलाह.  एहि अवसर पर  विजय इस्सर कें  सम्मानित सेहो कएल गेलनि. अवसर छल सलौना बड़ी ठाकुरबाड़ी मे आयोजित दू दिवसीय सांस्कृतिक कार्यक्रमक. पहिल दिन हास्य कवि सम्मेलन छल जाहि मे विजय इस्सर मैथिलीक प्रतिनिधित्व केलनि. दोसर दिनक आयोजन सुर-संगीतक छल जाहि मे अंजना इस्सर गायिकी सं प्रशंसा बटोरलनि. साभार: मिथिमीडिया